- Chandramani Jha Garam bhaat aa bhaata bathua,taahi sang tilkorak tarua ,Laghu achaar aa dahee athor ,madhurak sangahi taabartor.Mithila ke bhojan vinyas, Pari gel mon aa barhi gel saans.
- Amit Kumar Jha chandramani jha ji ka dhanywad bahut nik kavita ye..
- Ram Babu Mandal aasal mithilak bhojanak bibaran delon jha g........hamra bad nik lagal
- Manish Jha aadarniye chandramani sir apne ke baat suni ke sabke bhookh lagi gel hetai..bahut sunder swad
- Chandramani Jha Hamra paachak saon sabke khaebaak eecchhaa jagrat bhel... ham dhanya bha geloun.Sab gote ken dhanyabaad.
- डॉ॰ शशिधर कुमर .
.
बथुआ साग, बड़ नीक लाग ।
पेट झड़य तऽ, रोगीक भाग ।। - ShantiLakshmi Choudhary मिथिला बाधक अनेरूआ-धनेरुआ,
शहरी तरकारी बजारक अनमोल!
जर-जजातक निर्ल्लज हरमादी,
पोष्टिक आहारक छथि सिरमोर!!
...See More - मिहिर झा साग कुल मे उत्तम छी हम
नाम किया मरदरूआ
स्वाद गुण हमर अद्भुत अछि
भरल अछि ई पथीया
नीक नुकुत नाम जे रहिते
नाम किया अछि बथुआ - Ranjit Mandal bathuya ke shag ke sang gehum ke rotibad neek lagehai
- ShantiLakshmi Choudhary बथुआ
जेना गामक जीमीदार सरकार,
उजारै दैत छथि जकरा मोन तकरा.
गहूँम, सरसौं, रैंचीक किसान,उपाड़ि दैत छथि समुल-जैड़ हमरा.
तैयो हम अस्तित्व बचैने छी
ओलती, कोनटा, बाड़ी मे.
मिथिला केर तरकारी मे.
बाधबन मे जगह अछि मुस्किल
गहुम सरसौं छथि बोल वला
पाक-सुकला मे जगह मुदा ऐहन
के छथि ओतय सँ भगवै वला
सम्मान पेनै छी हम एखनो
सग्ग-भट्टा, सतसग्गा, झुरी मे
मिथिला केर तरकारी मे.
छौंकल मूर-भाटा-अदौरी तीमन लs
स्त्रीगन सुनै छी गिरवै छथि लहास
सग्गभट्टाक तीमन केँ तँ सेहो
बाँटी खाइ छथि पड़ोसिया दियाद
स्वादु व्यंजन छी हम एखनो
खेनिहारक आगुक थारी मे
मिथिला केर तरकारी मे - Gajendra Thakur बथुआ (छोटकी, गहूम खेतबला बथुआ आ बड़की बथुआ)अलगसँ पोस्ट केने छी।
गुरुवार, 9 अगस्त 2012
ऐ प्राकृतिक दृश्यपर एकटा गजल, शेर, रुबाइ, कता, हाइकू/ टंका/ शेनर्यू/ हैबून लिखू ।(चित्र :सौजन्य Antti Bilund, This file is licensed under the Creative Commons Attribution-Share Alike 3.0 Unported, 2.5 Generic, 2.0 Generic and 1.0 Generic license.)
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें