आशीष अनचिन्हार लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
आशीष अनचिन्हार लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

शुक्रवार, 2 नवंबर 2012

हाइकू आ शेनर्यू



१) फुला रहल /सिंगरहारो आब/ गेंदा गुलाबो


२) झुकल सीस/ धानक खेतमे गे /दाइ गे दाइ


३) दिवाली एलै /छठियो एतै आब /स्वागत सामा


४) नेता-दलाल/ सौंसे बाँटि रहल/ दंगा-फसाद


५) खुट्टे ध' नाचै/ गुम्मा कुकुर /अनेरे आब

शुक्रवार, 6 जुलाई 2012

सेनर्यू

प्रस्तुत अछि हमर किछु सेनर्यू------------------------

१) नेता-दलाल
सौंसे बाँटि रहल
दंगा-फसाद

२) जे पाइ देतै
भोट ओकरे देबै
चाहे जे करू

३) राजनीति छै
गिद्धम-गुड़कान
मानू नै मानू

४) तोड़ि रहल
मंदिर-मस्जिद ओ
लोक मरैए

५) संसद तँ छै
कोबर सन आब
नेता बर छै

बुधवार, 14 दिसंबर 2011

हाइकू



१) जोतल खेत/ आ नीपल आँगन/ नीक लगैए
२) पानिमे माछ /छह-छह करैए /बंसी हसैए
३) नवका धान/ आ नवकी कनियाँ /अनमोल छै
४) लतरल छै/ लत्ती चारहि पर /तीमन लेल
५) खुना रहल /पोखरि आ इनार/ डुबहे लेल
६) भूत-प्रेत छै /इ देशक जनता /नेता कहैए

मंगलवार, 9 अगस्त 2011

हाइकू

आधुनिक मैथिली साहित्य केर सभसँ बेसी नैसर्गिक आ प्रतिभावान आ मैथिलीक पहिल जन-कवि आ मैथिलीक भिखारी ठाकुर श्री रामदेव प्रसाद मण्‍डल ‘झारूदार’ जीकेँ समर्पित हमर ई किसानी हाइकू।

1) कोदारि लेने / खेतिहर अबैए / खेत हँसैए

2) फूँही पड़ैए / आब खेत-खेतमे /बेंग बजैए

3) आरिक संगे / खूब ढ़ूसि लड़ैए /खेतक पानि

4) बीआ पड़लै /खेत अँकुरा गेलै/ हरखित ओ

5) बसात एने/ सदिखन नचैए/ ओ सीना तानि

6) आएल बाढ़ि / डुबलै सीस धरि / आब की हेतै

7) ओ बेर-बेर / खूब छाती पिटैए / खूब कनैए

8) सरकार तँ /की जुलुम करैए /चुप्पे देखैए

9) खेतिहर तँ / सरकारक संगे /झुट्ठे बैसल

10) गरदनिमे / फाँसी लगा लेलकै /ओ खेतिहर

11) संसद चालू / अटल हो की लालू / हा-हा, ही-ही हू