हाइकू/शेर्न्यू लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
हाइकू/शेर्न्यू लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

मंगलवार, 26 फ़रवरी 2013

हाइकू/शेर्न्यू

हाइकू/शेर्न्यू

प्रेम दिवस
उधियाइत मोन
गुलाब लेने

ज्ञान सुधासँ
भीजा दिऔ जगकेँ
सरस्वती माँ

भोर होइत
मुक्त भेल मधुप
पंखुरी खोलि

जीब रहल
करेजमे रोपने
काँट आ फूल

हम भारत
जगमे छी पूजित
शीश मुकुट

कृष्ण आ गोपी
कदम्ब गाछ चढ़ि
खेल करैत

अमित मिश्र

सोमवार, 4 फ़रवरी 2013

हाइकू/शेर्न्यू

हाइकू/शेर्न्यू

1.जागल आँखि
स्वस्थय समाजक
सपना देखै

2.सूतल मोन
नै देकै पसरल
कूव्यवस्थाकेँ

3.एकता नै छै
अनेकतामे जीबै
भारतवासी

4.मातल हवा
मदहोश करै छै
एलै फागुन

5.गन्दोमे फूल
कादोमे छै कमल
शीपमे मोती

6.धर्म नै जानै
बमक गर्म लुत्ती
जड़ै छै सब

7.छै जन्मदिन
सालमे एकबेर
उम्र घटाबै

8.नीक-बेजाए
आगिक प्रेममे तँ
फतिंगे जड़ै

9.गन्ध लोभाबै
लपटल भुजंग
चन्दन गाछ

अमित मिश्र

हाइकू/शेर्न्यू

हाइकू/शेर्न्यू

नाह मनुख
सुख दुख दू कात
जीवन नदी

पानक पात
प्रेमक कत्था पाबि
अमर भेल

पिज्जा-बर्गर
करतै परतर
तिलकोरक

माँछक भोज
मिथिलेमे होइ छै
मीठ मखान

खाइ कचरा
करै छै मैल साफ
दुषित गंगा

एतै चुनाव
दारू टाका बँटतै
फँसतै दंगा

छोड़ि दै ऐंठा
नै दै ककरो भीख
नै बाँटै अंगा

करू अहं नै
शनिक चोट खा कऽ
जड़त लंका

अमित मिश्र