मैथिली हाइकू
मैथिली हाइकू मैथिली हाइकू, टंका, शेनर्यू, हैबून आ हैगा लेल समर्पित विशिष्ट जालवृत्त।
पेज
मुखपृष्ठ
सैद्धान्तिक पक्ष
मिहिर झा
लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं.
सभी संदेश दिखाएं
मिहिर झा
लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं.
सभी संदेश दिखाएं
शुक्रवार, 16 नवंबर 2012
हाइकू
निश्चल शांत
राति गुप्प अन्हार
आकाश तारा
सामा चकेबा
ओसायल छै बालि
बाटो बहिना
चुगलपन
धधाएत जंगल
एक संदेश
बुधवार, 11 अप्रैल 2012
हाइकू
कारी बिहाडि
तड तड पाथर
खोता उडल
उदास चिडै
नाचय बरखा मे
अंडा फूटल
लाल प्रकाश
डुबैत सुरुज के
मेघक कोर
भोरक ची ची
दुख वा हर्ष गीत
गबैत चिडै
रविवार, 8 अप्रैल 2012
हाइकू
तपैत खेत
बरखा टप टप
गंध माटिक
डोलल पात
पुरबा सिहकल
जरैत दीप
घुप्प अन्हार
पसीना गर गर
हेतय भोर
भोरक लाली
मस्जिदक अजान
पाकल धान
बुधवार, 4 अप्रैल 2012
हाइकू
कनिया गोर
भदबा झाईं झाईं
बहबै नोर
पियाजी मोर
नौकरी लेल हाय
गेलथि छोड
फागुन भोर
मदमस्त पवन
तोडय कोंढ
चैतीक शोर
विरिहिन करेज
ताकय छोर
पुराने पोस्ट
मुख्यपृष्ठ
सदस्यता लें
संदेश (Atom)