गुरुवार, 20 मार्च 2014

चुनावी हायकू - सुनील कुमार झा


पाकलै खीर 
संटुआ क घर मे
ऐलै चुनाव ।

छी बुधियार 
तखनो नहि दैं छें 
अपन वोट ।

रामविलास 
पकड़ि‍ लेने छैक 
बीजेपी हाथ ।

सोझा टक्कर 
भाजपा राजद क 
अछि इ बेर ।

लड़त मीसा 
फेर जीतत लालू 
पाटलिपुत्र ।

भ गेल बागी 
राबड़ी सुपुत्री स 
रामकृपाल ।

रामकृपाल 
गेल बीजेपी संग 
खिलल फूल ।

रालोसपा भी 
नमोनिया मरीज 
मोदी लहर ।

दए क वोट
बनाउ सरकार
अपने लेल

अछि विकट
इ बेरक चुनाव
महाभारत

माय ‍बहिन
वोट दियो जरूर
इ चुनाव मे

बनब नेता
त करब विकास
यौ सांसद जी

जोड़ता हाथ
दिन भरि रौद मे
बनता नेता

बिसरि जेता
अपन क्षेत्र कए
जीतला बाद