गुरुवार, 20 मार्च 2014

चुनावी हायकू - सुनील कुमार झा


पाकलै खीर 
संटुआ क घर मे
ऐलै चुनाव ।

छी बुधियार 
तखनो नहि दैं छें 
अपन वोट ।

रामविलास 
पकड़ि‍ लेने छैक 
बीजेपी हाथ ।

सोझा टक्कर 
भाजपा राजद क 
अछि इ बेर ।

लड़त मीसा 
फेर जीतत लालू 
पाटलिपुत्र ।

भ गेल बागी 
राबड़ी सुपुत्री स 
रामकृपाल ।

रामकृपाल 
गेल बीजेपी संग 
खिलल फूल ।

रालोसपा भी 
नमोनिया मरीज 
मोदी लहर ।

दए क वोट
बनाउ सरकार
अपने लेल

अछि विकट
इ बेरक चुनाव
महाभारत

माय ‍बहिन
वोट दियो जरूर
इ चुनाव मे

बनब नेता
त करब विकास
यौ सांसद जी

जोड़ता हाथ
दिन भरि रौद मे
बनता नेता

बिसरि जेता
अपन क्षेत्र कए
जीतला बाद

गुरुवार, 27 फ़रवरी 2014

उडैत गुड्डी
सपना सेहो उडै
अकाश पर

चाहक कप
शुरू गामक गॅप
भोर भ गेलै

खिस्सा पिहानी
संग मे ककहरा
नवका पोथी

जारनि धूआँ
करिया बरतन
भेटतै भात

ढोल पिपही
कुमरमक गीत
जगलै गाम