मंगलवार, 26 फ़रवरी 2013

haiku

चाहक रंग
कारी भेल जाइ छै
मँहगाइमे

चन्नामे दाग
मोन बोलमे दाग
दागे दाग छै

यंत्र जगकेँ 
सम्मोहित केने छै
जादूगर छै

पन्नी पीबै छी
अंग्रेजीक पाइ नै
गरीबीमे छी

हाइकू/शेर्न्यू

हाइकू/शेर्न्यू

प्रेम दिवस
उधियाइत मोन
गुलाब लेने

ज्ञान सुधासँ
भीजा दिऔ जगकेँ
सरस्वती माँ

भोर होइत
मुक्त भेल मधुप
पंखुरी खोलि

जीब रहल
करेजमे रोपने
काँट आ फूल

हम भारत
जगमे छी पूजित
शीश मुकुट

कृष्ण आ गोपी
कदम्ब गाछ चढ़ि
खेल करैत

अमित मिश्र

शेर्न्यू

शेर्न्यू

1.विआह भेल
घोड़ा बेच सूतल
बेटीक बाप

2.छै प्लास्टिकक
गाछ ,पात आ फूल
कृत्रिम युग

3.भारत देश
गामे गाम बदलै
भाषा आ भेष

4.लेने जनम
घूस ,मँहगी ,चोरी
पैघ औरदा

5.टूटल ताला
डरक गप छै ई
साँपक माला

अमित मिश्र