मंगलवार, 26 फ़रवरी 2013

हाइकू/शेर्न्यू

हाइकू/शेर्न्यू

प्रेम दिवस
उधियाइत मोन
गुलाब लेने

ज्ञान सुधासँ
भीजा दिऔ जगकेँ
सरस्वती माँ

भोर होइत
मुक्त भेल मधुप
पंखुरी खोलि

जीब रहल
करेजमे रोपने
काँट आ फूल

हम भारत
जगमे छी पूजित
शीश मुकुट

कृष्ण आ गोपी
कदम्ब गाछ चढ़ि
खेल करैत

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें