शुक्रवार, 6 जुलाई 2012

सेनर्यू

प्रस्तुत अछि हमर किछु सेनर्यू------------------------

१) नेता-दलाल
सौंसे बाँटि रहल
दंगा-फसाद

२) जे पाइ देतै
भोट ओकरे देबै
चाहे जे करू

३) राजनीति छै
गिद्धम-गुड़कान
मानू नै मानू

४) तोड़ि रहल
मंदिर-मस्जिद ओ
लोक मरैए

५) संसद तँ छै
कोबर सन आब
नेता बर छै