बुधवार, 11 अप्रैल 2012

हाइकू

कारी बिहाडि
तड तड पाथर
खोता उडल

उदास चिडै
नाचय बरखा मे
अंडा फूटल

लाल प्रकाश
डुबैत सुरुज के
मेघक कोर

भोरक ची ची
दुख वा हर्ष गीत
गबैत चिडै